कविता
भिखमंगा
एहन पुष्टगर देह
कमेबहीं से नञि
लोक लेहाज उठा लेलहीं
चल आबै छहीं
हाथ पसारने
देखू त'
नीक व्यवसाय बनेने अछि
एकटा गुदरी ओढ़ि
हाथ पसारने
एक-दू टा कैंचा लेल
गोहारि करैत अछि
लोक एनाहिते कहतै
भिखमंगाक कोन पुछारि
ओकर बोलीमे छलकैत
वेदनाके कियो नञि सुनैछ
बुझना जाइछ
गतिशील ट्रेनमे
मनुख गतिहीन अछि
मोन चेतना- शून्य अछि
© सुमित मिश्र ''गुंजन''
करियन ,समस्तीपुर
सम्पर्क - 8434810179
No comments:
Post a Comment