सुमित मिश्र 'गुंजन'

मैं पढ़ लेता हूँ आँखों व चेहरों की तमाम भाषा.. . . . . .

Tuesday 17 May 2016

चिरनिद्रा

कविता

चिरनिद्रा

हमर मोनक कोनमे
प्रज्ज्वलित एकटा दीप
मद्धिम इजोत
किछ फरीछ नञि
चिरकाल सँ
अकाइन रहल छी
ककरो पदचाप

जी अकच्छ भ' गेल
आँखिक नोर सुखा गेल
मुदा एखनो धरि
हम दीप जरौने छी
आश बाचल अछि
कियो त' औता
एहि बूढ़के 
सुधि लेब'क लेल

मार बाढ़नि
कियो नञि आयत
मोन होइछ
मिझाक' दीप
सुति रहै छी
चिर निद्रामे।

© सुमित मिश्र ''गुंजन"
करियन ,समस्तीपुर
सम्पर्क - 8434810179

No comments:

Post a Comment