सुमित मिश्र 'गुंजन'

मैं पढ़ लेता हूँ आँखों व चेहरों की तमाम भाषा.. . . . . .

Saturday 21 May 2016

संस्कृतिक तिलांजलि

कविता

संस्कृतिक तिलांजलि

हकार दैत अछि
आधुनिकता
आऊ
फुँकि लिय' सभ्यताके
डाहि लिय' संस्कृतिके

तकरा बाद
ओकरे चिता पर बसाबू
एकटा नव दुनिया
जत्त' नञि होइ
समाजक बंधन
लोक- लेहाज
ओतए केवल क्षुधा होइ
मनुखके मारबाक क्षुधा
मशीन बनेबाक क्षुधा

ठीके सुनलहुँ
हकार अछि
आऊ
सभगोटे अपन संस्कृतिके
तिलांजलि दै छी

© सुमित मिश्र ''गुंजन''
करियन ,समस्तीपुर
सम्पर्क - 8434810179

No comments:

Post a Comment