सुमित मिश्र 'गुंजन'

मैं पढ़ लेता हूँ आँखों व चेहरों की तमाम भाषा.. . . . . .

Sunday 22 May 2016

खुनिया आरि

कविता

खुनिया आरि

त्रेतायुगक बात अछि
लक्ष्मण एकटा रेख बनेने छला
रावणके रोकबाक लेल
सीताके बचेबाक लेल

आइ कलयुगमे
रेख त' वैह अछि
परञ्च
रामके रोकबाक लेल
स्वार्थके बचेबाक लेल

इ रेख ,इ आरि
बनाओल गेल अछि
पुरखाक स्वप्नके
कोरि - कारि क'
एकर आगाँ
मानवता,भाईचारा,प्रेम
सबकिछु हीन अछि

एहि आरिक परंपरा
पीढ़ी दर पीढ़ी
निमाहल जैत
लक्ष्मणके जीबैत
कोनो राम
नञि टपि सकै छथि
इ खुनिया रेखके, आरिके

© सुमित मिश्र ''गुंजन''
करियन, समस्तीपुर
सम्पर्क - 8434810179

No comments:

Post a Comment